Posts

Showing posts from August, 2019
मिथिला हमर जान अछी प्राण अछी ईमान अछी।। मिथिला मिथिला रटैत रटैत लागय ये जीवन बित गेलय केहन पलायण धेलकय डायन अजब समय के रित भेलय  मिथिला ----------  मैथिल सब मोदी मोदी के नारा लगा क सुती रहल  रोजगार कांग्रेस खा गेलय छाती पर नितिष मुंग कुटी रहल स्कूल कौलेज आ हस्पताल के जेना लगय खुन सुखी गेलय मिथिला -------------------  लालु राबरी के फेरा मे उद्योग के हाल खराब बनल जनता अपने मे लरी बैसल जाती पाती के मैर बढ़ल गाम गाम सब खाली भ गेल जेना लगय नसिबे फुटी गेलय मिथिला ---------------- अखनो सब मिल क बजबै अप्पन संस्कृति आ भाषा लेल  मिथिला राज्य बनय भारत मे बस अतबे अभिलाषा लेल सीता के नोरक धार नही रुकल तैं आनन्द लगय ये रुसी गेलय मिथिला ----------------- आनन्द जय मिथिला जय मैथिली  आनन्द कुमार झा(पूर्व लोकसभा प्रत्याशी मिथिला मधुबनी) अध्यक्ष  मैथिल यूथ परिषद्