मिथिला हमर जान अछी प्राण अछी ईमान अछी।।


मिथिला मिथिला रटैत रटैत लागय ये जीवन बित गेलय
केहन पलायण धेलकय डायन अजब समय के रित भेलय 
मिथिला ---------- 

मैथिल सब मोदी मोदी के नारा लगा क सुती रहल 
रोजगार कांग्रेस खा गेलय छाती पर नितिष मुंग कुटी रहल
स्कूल कौलेज आ हस्पताल के जेना लगय खुन सुखी गेलय
मिथिला ------------------- 

लालु राबरी के फेरा मे उद्योग के हाल खराब बनल
जनता अपने मे लरी बैसल जाती पाती के मैर बढ़ल
गाम गाम सब खाली भ गेल जेना लगय नसिबे फुटी गेलय
मिथिला ----------------

अखनो सब मिल क बजबै अप्पन संस्कृति आ भाषा लेल 
मिथिला राज्य बनय भारत मे बस अतबे अभिलाषा लेल
सीता के नोरक धार नही रुकल तैं आनन्द लगय ये रुसी गेलय
मिथिला ----------------- आनन्द

जय मिथिला जय मैथिली 
आनन्द कुमार झा(पूर्व लोकसभा प्रत्याशी मिथिला मधुबनी)
अध्यक्ष 
मैथिल यूथ परिषद्

Comments